जन्म लैते प्रख्यात भ गेल

|| जनकपुर बोल्ट्स ||

जन्म लैते प्रख्यात भ गेल,

जेना रहा कोनो अवतार,

मधेशी युवाके हृदय मे,

बना लेलक अछि बास |

जानकी मन्दिर के प्रतिक सँग,

कयल गेल सँखघोष,

एन.पी.एल. के शुभारम्भ सँग,

व्याप्त भेल चहूवोर |

सडक, सहर, सदर मे,

चर्चा अछि सबठाम,

जनकपुर बोल्ट्स के गर्जन सँ,

मचल अछि घामासान |

धोति, कुर्ता, गम्छा के,

फहरा रहल अछि पताखा,

टि.यु. क्रिकेट मैदान मे,

धमकि रहल अछि बाजा |

सुधि-बुद्धि और रणनीति सँ,

कय रहल अछि चमत्कार,

नाना भाँतिक निकृष्ट टिप्पणी के,

दय रहल अछि जित सँ जवाव |

अन्तिम खेल अछि आजु,

सहोदर सुदूरपश्चिम संग,

विजय पाताखा फहरा कय,

चुमी लिय एन.पी.एल. कप ||

डा० बिरेन्द्र “मुनिजी”

Facebook Comments Box